Maithili Singer ( Mithila )

Maithili Singer ( Mithila ) सुवदगार / स्वक्ष /सम्पूर्ण मनोरंज हमर ?

चन्दा के गलत धंधा में सदैव नेता के भला भेलानी ,समाज आ मिथिला के नई !!
मैथिलि सिंगर परिवार "
भारत 0११.
मैथिली परिवार,,
मिथिला,,, भारत 0११.

27/04/2026

उपनयनक मड़बा पर वैह पाहुन "ब्रह्मा" बनल भेटताह जे जीवन भरि मनुक्ख नहि भेलाह घरबैयाक दृष्टि मे !

कतय बिला गेलै गामक दलान?-------------------------------------​गाम तँ छै, मुदा गामक ओ शान कतय?बाबूजीक बैसकी, ओ पुरनका दला...
18/04/2026

कतय बिला गेलै गामक दलान?
-------------------------------------
​गाम तँ छै, मुदा गामक ओ शान कतय?
बाबूजीक बैसकी, ओ पुरनका दलान कतय?
कतय बिला गेलै ओ दलानक गप्प-सप्प,
अपन-आन के ओ सांझक थप्प-थप्प।
​फूस के ओ घर, काठक ओ थाम,
कतय हेरा गेलै ओ थाकल विश्राम।
जहिना देह सँ प्रान छूटि रहल अछि,
तहिना गामक ओ पहिचान टूटि रहल अछि।
​सर्वत , तम्बाकू आ हुक्काक ओ धुँआ,
ओ पोखरि, ओ इनार, आ पाइन क कुआँ।
आब तँ पाकल ईंटा क कंक्रीट भ' गेलै,
गामक ओ मोह-माया "अपडेट" भ' गेलै।
​कतय गेलै ओ पंचक गंभीर फैसला,
कतय गेलै ओ अतिथि लेल प्रेम-कौशला।
अब तँ केबाड़ बन्द भ' गेलै सभ केँ,
मोबाइलक फंसा लेलकै अपना में सभ के ।
​आंगन तँ बाचले अछि, मुदा सूना-सूना,
दलान बिना गामक रौनक़ गेलै दूना।
बड़का कोठी तँ बनि गेलै चकाचक,
मुदा गामक ओ सोंध माटि भ' गेलै फकफक।
​हेरा गेलै ओ दलानक खिस्सा-पिहानी ,
बिला गेलै ओ सत्य प्रेम आ ममतामयी वाणी।
कीर्ति के चिंता जे फेर सँ दलान केँ सजा सकब?
कि अपन विलुप्त होइत संस्कृति केँ बचा सकब?

जुड़ शीतल, जिसे मैथिली नव वर्ष तथा ‘अखर बोछर’ के नाम से भी जाना जाता है, । आप सभी को इस पर्व की हार्दिक शुभकामनाएँ।मैथिल...
15/04/2026

जुड़ शीतल, जिसे मैथिली नव वर्ष तथा ‘अखर बोछर’ के नाम से भी जाना जाता है, । आप सभी को इस पर्व की हार्दिक शुभकामनाएँ।

मैथिली नववर्ष की शुभकामनाएं ।
I wish everyone to stay Blessed.
सब् कियो जुड़ायल रही, याह मनोकामना 🙏

स्वागत मिथिलाकेर   #नववर्ष  !!चैत  मेष -संक्रान्ति अमर होमैथिलीक प्रति भाव-मुखर होस्वाभिमानकेर रक्षा खातिरसंकल्पित प्रति...
14/04/2026

स्वागत मिथिलाकेर #नववर्ष !!

चैत मेष -संक्रान्ति अमर हो
मैथिलीक प्रति भाव-मुखर हो
स्वाभिमानकेर रक्षा खातिर
संकल्पित प्रतिवाद-प्रखर हो

जूड़-शीतलक ई पुनीत-दिन
प्रवल-चेतनाकेर उत्कर्ष
मंगलमय ई पावनि अप्पन
स्वागत मिथिलाकेर नववर्ष ।।

मैथिलीक झंडा उधियौने,
मिथिला-राजक यान उड़ौने
माँछ-मखान,पान-आमक सँग
अपन धरोहरकेँ पजियौने

सधल-कंठसँ गाबी सभमिलि
जय-जय भैरवि ! हे नववर्ष
मंगलमय ई पावनि अप्पन
स्वागत ! मिथिलाकेर नववर्ष ।।

बहय बसात एहेन मिथिलामे
सुख-समृद्धिकेर नव-उत्कर्ष
जन-जनकेर मंगलक कामना
स्वागत ! मिथिलाकेर नववर्ष ।।

14/04/2026
14/04/2026

२०८३ नव बर्षक पावन अवसरमा सुख,
समृद्धिक हार्दिक मंगलमय शुभ-कामना।💐🙏💐🙏

मैथिल नववर्ष के शुभकामना 🙏

13/04/2026

अपन औकात अनुरूपे विधाता ताकि लेने छी
तमाशामे तमाशा बनि तमाशा ताकि लेने छी

जते तकलहुँ तते भेटल जते भेटल तते छूटल
गरीबक माथपर टाँगल भरोसा ताकि लेने छी

मुकरि जेतै कियो कहियो बदलि जेतै कियो कहियो
अही कारणसँ हमहूँ ई सहारा ताकि लेने छी

#मिथिला ゚



Maithili Andaaz मैथिली अंदाज Maithili Thakur
Maithili Kala Parivar
MithiMedia Madhav Rai Udit Narayan Sharda Sinha ,

https://www.facebook.com/share/v/1N26mBhrD5/
Full songs

भारतीय संगीत के इतिहास  मे सबसँ प्रभावशाली गायिका मे सँ एक छलि आशा भोसले, सब प्रकार केँ शास्त्रीय संगीत, गजल, पॉप, कव्वा...
12/04/2026

भारतीय संगीत के इतिहास मे सबसँ प्रभावशाली गायिका मे सँ एक छलि आशा भोसले, सब प्रकार केँ शास्त्रीय संगीत, गजल, पॉप, कव्वाली आ भजन मे निपुण...श्रद्धांजलि

चाही   #मिथिला-राजउत्तर मे गिरिराज -हिमालयदक्षिण बैजू बम-बम  बोल  ।अइ बीचक छै मिथिला-राजकअपन-गाम आ अप्पन-टोलपुरुब-पुरनिय...
12/04/2026

चाही #मिथिला-राज

उत्तर मे गिरिराज -हिमालय
दक्षिण बैजू बम-बम बोल ।
अइ बीचक छै मिथिला-राजक
अपन-गाम आ अप्पन-टोल
पुरुब-पुरनिया पच्छिम-गंडक
उफनि मचाबै गर्दम - गोल
संविधानकेर कोन खुशामद
बदलि देब भारत-भूगोल ।।

जे नै सुनलक आ नै गुनलक हमरा मोनक बात
एतेक-साल मे तैं नै भेलै हम्मर एगो काज
से जे क्यो भेल शासक तकरो हमरे देलहा ताज
तैं हमरो कम किछु नै चाही चाही मिथिला -राज * * * * *
कोसी बहय उदामे एखनो जहिना चलय सुनामी
नामो ले उद्योग ने लागल जे छल सेहो निलामी
अभिशापित रौदी-दाही सँ लोकक हाल-बेहाल
तैं हमरो कम किछु नै चाही ,चाही मिथिला-राज * * * * *
असम जराबै मुंबै मारै , हरियाणा - हड़काबय
पंजाबो मे ठेलम -ठेला,चोरा-नुका सब भागय
एखनो कत्ते बन्हकी लागय अही माटिकेर लाल
तैँ हमरो कम किछु नै चाही, चाही मिथिला-राज * * * * *
सहलौं बहुते आब ने सहबै,सहबोकेर छै सीमा
कहलौं बहुते आब ने कहबै,कहतै भुखना-भीमा
अंतिम-काज लड़ब बाँकी छे,ठोकि देल अछि ताल
तैं हमरो कम किछु नै चाही,चाही मिथिला - राज * * * * *
डेग-डेग पर पोखरि हमरा,माँछ -मखानक खान
आम फलक राजा से हमरे सभसँ पैघ बगान
हमरे लिच्ची शाही लिच्चीकेर बेजोड़-बजार
कतौ ने भेटत अप्पन देसी पानक अनुपम-स्वाद
तैँ हमरो कम किछु नै चाही,चाही मिथिला-राज*
* * * * *
निन्ने छलै निभेड़ आब से जागल अपन समाज
बूझि गेल जे राज बिना ने चलतै अप्पन काज
अड़तै-बढ़तै-लड़तै-मरतै करतै अप्पन -राज
तैँ हमरो कम किछु नै चाही,चाही मिथिला-राज
चाहे खसौ बज्र की ठनका ,बहय मरुत-उनचास
दुमका सँ दमकत चतरंगिनि पहुँचत राज-विराज
अड़िकय लेतै,लड़िकय लेतै,बढ़िकय लेतै ,
चढ़िकय लेतै ,मरिकय लेतै लेतै अप्पन राज
तैँ हमरो कम किछु नै चाही, चाही मिथिला-राज

समस्त भारत मे रहनिहार मैथिली भाषी लोकनिक सऽ करबद्ध प्रार्थना, अहि सप्ताह स्ऽ निजी वा सरकारी विद्यालय मे नामाकंन के प्रक्...
31/03/2026

समस्त भारत मे रहनिहार मैथिली भाषी लोकनिक सऽ करबद्ध प्रार्थना, अहि सप्ताह स्ऽ निजी वा सरकारी विद्यालय मे नामाकंन के प्रक्रिया प्रारम्भ भऽ गेल अछि। जिनका सभ के घर मे छोट बच्चा हैत वा एक विद्यालय सऽ दोसर विद्यालय मे नामाकंन करैब तऽ नामाकंन वला फार्म के मातृभाषा के कालम मे मैथिली जरुर लिखब। विद्यालय प्रशासन के बहुत कर्मी वा शिक्षक -शिक्षिका आंहा के मैथिली लिखऽ लेल मना करत कियैकी 95% विद्यालय कर्मी के मैथिली के विषय मे बुझले नहि छयक जे मैथिली भाषा की छयक आ मैथिली के संवैधानिक अधिकार के दायरा कतेक तक छयक। ज'' विद्यालय कर्मी द्वारा कोनो टोकाटोकी कैयल जायत अछि तऽ प्रधानाध्यापक वा विद्यालय प्रबंधन समिति प्रमुख सऽ मिलु,ओ आंहा के बच्चा के मातृभाषा मैथिली अछि इ पहिल पाठशाला मे अंकित करेबा सऽ नहिं रोइक सकत। हमरा लोकनिक के अपन मातृभाषा बचेबाक लेल पहिल आ सभसँ ठोस उपाय तऽ हमरे आंहा के उठाबऽ परत ने। जय मैथिली 🙏।

26/03/2026

ऊँ नमो भगवते वासुदेवाय🙏नवलप्रभात मंगलमय🙏

Address

Patna

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Maithili Singer ( Mithila ) posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Business

Send a message to Maithili Singer ( Mithila ):

Share

Category